Last modified on 2 जुलाई 2014, at 20:54

सीता डोलीमे सबार / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सीता डोलीमे सबार, रामचन्द्र नीचा मे छथि ठाढ़
ई नहि उचित विचार, अवधपुरमे
सीता होउ ने बहार, कते करै छी सम्हार
होयत बिध-बेवहार, अवधपुर मे
जगमग दीप जराउ, सखि सख मंगल गाउ
कौशल्या गूड़ खोआउ, अवधपुर मे
आजु सोन लुटायब, अवधपुर मे