Last modified on 19 मई 2021, at 22:58

हबाइ जहाज / नारायण झा

उड़ि रहल चिड़ै सन देखू
चिड़ै नै छी भाइ
भागि रहल तेजीसँ देखू
पैघ सबारी दाइ

ऊपरे-ऊपर ख़ूब घुमाबए
टाका लए ओ भाइ
ओहि शहरसँ एहि शहरिया
कोना उड़ै छै दाइ।