बाबूजी के खेती-बारी,
माई के तुलसी के किआरी,
दूरा पर के पीपर की छांओ,
केन्ने गेल हम्मर ऊ गाँओ।
शहर-गाँओ में आपा-धापी,
बंद भेल हए सगरो काज,
ह्त्या, लूट, डकइती बढ़ल,
कहाँ गेलई पनचाईती राज।
कहिओ बाढ़ सुखारो आएल,
खेती-बारी डूबल गाँओ,
सरकारी त∙ बान्हों टूटल,
छप्पर होक गुजराल नाओ।
अब न कोनो गाँओ में होए,
रघु “का” के ठिठोली,
देओर-भउजी में न∙ होए
अब कोनो रंग रैली।
जिला-जबार के लोग बँट के,
बनल हए अगरी-पिछरी,
कदम डाढ़ न झुलुआ झूले,
अब न गावे कोनो कजरी।
पनचाईत न कोनो बइठे,
बरहम बाबा की ठाँओ,
राम-रहीम न गाबे पराती,
केन्ने गेल हम्मर गाँओ।