Last modified on 30 अप्रैल 2014, at 19:06

हाहाकार केहेन / कालीकान्त झा ‘बूच’

माँसु केर निःशेष यौवन
अस्थि केर कंकाल काया
चेतना सँ शून्य जे से
चाम केर संसार केहेन?
श्रमिक जाँतल छथि कफ़न मे
स्वेद जाँतल धूलि कण मे
सदन मे भुखमरी आ-
एहि कब्र मे आहार केहेन?
सर्वहारा केँ सता क'
खून पी क' माँसु खा क'
हाड़ सं की ल' रहल अछि
याचनाक भार केहेन?
वृथा शोषण मे लुटयलहुँ
कोण नहि रोटीक पयलहुँ
आइयो पूंजी परिधि पर
केंद्र केर व्यवहार केहेन?
भूख केर फेर त'ब मे परि
बनि गेलहुँ आहार जरि-जरि
एक आँजुर छार सं रे
क्रूर -प्रत्युपकार केहेन?
महल केँ मन मे ने आनू
कुटी केँ सर्वस्व मानू
हास मे अछि बचल की
हे देखू- "हाहाकार केहेन"?