Last modified on 2 जून 2013, at 22:08

अव्यक्त प्रणय / रामकृष्ण झा ‘किसुन’

सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:08, 2 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=रामकृष्ण झा ‘किसुन’ |संग्रह= }} {{KKCatKa...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

अहाँ छी

हम छी।
ई ‘आ’ जँ हटा दी तँ
केवल
अहाँ-हम
छी !
शेष भीड़
सौंसे नगर
बोटेनिकल गार्डेन थिक।
अहाँ-हमक बीचमे
छोटका सन ‘हाइफन’ अछि
मने एकटा निःशब्द
अनस्तित्व
छोट-छीन चुप्पी
तैं भरिसक अहूँ चुप छी
आ’ हमहूँ चुप छी,
मने बाजब तँ बीचमे
एकटा व्यवधान भ’ जाएत
शब्दक
वा स्वर मात्रक
अतिरिक्त अस्तित्व
तैं सरिपहुँ आइ धरि
अहाँकें नइं टोकलहुँ हम
हाइफनक हटि जएबाक
आकुल प्रतीक्षा अछि।