Last modified on 2 जून 2013, at 22:18

अर्थ तन्त्रक चक्रव्युह / राजकमल चौधरी

सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:18, 2 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=राजकमल चौधरी |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMa...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

सभ पुरूष शिखण्डी
सभ स्त्री रासक राधा
सभक मोनमे धनुष तानि क’ बैसल
रक्त पियासल व्याधा
कत’ जाउ ? की करू ??
रावण बनि ककर सीताकें हरूं ?
सभ पुरूष शिखण्डी
सभी स्त्री रासक विकल राधा
कत’ जाउ ? की करू ??
चक्रव्यहूमे ककरो भरोस नहि करू
रे अभिमन्यु-मोन,
छोड़ि देश ई चलू बोन
सभ पुरूष खिलाड़ी
सभ स्त्री राधा
सभक मोनमे धनुष तानि क’ बैसल
रक्त पियासल व्याधा।