भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

परकीयाक प्रति / महाप्रकाश

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 07:05, 5 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=महाप्रकाश |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMaithiliR...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

फुलाइत होएतैक एखनो बंशीबटक फूल
बहैत होएतैक एखनो धारक पानि
-अविराम
कुचरैत होएतैक एखनो चार पर
-कौवा
छिटकैत होएतैक एखनो हाथसँ
-ककबा
किन्तु आब नहि हेतैक ककरो हलफ
स्वप्न अथवा जागरणमे हमर
-प्रतीक्षा
अयनामे देखैत अपन गीत-गंध-पर्वत
पुलकित कहां ककरो करैत होएतैक
-हमरे टा नाम !