Last modified on 5 जून 2013, at 07:12

समय संकेत / सुकान्त सोम

सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 07:12, 5 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुकान्त सोम |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMaith...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

एहि तरहें चुप नहि रहै दिन कहियो
निस्तब्धता एहन त’ कहियो ने रहै कि
नवगछुलीक ठाढ़ि सभक आपसी कनफुसकी
एना भ’ क’ सुनबामे आबै
सूर्यसँ भटल सोन
हरियर-हरियर पात पर एतेक भारी होइक
एहन त’ नहि रहै दिन कहियो
साँझमे शुरू भेल अद्भुत हवा
रातुक साँस बन्न कएने छैक, आ
बाजक पाँखितर दबल दिन कें आब
जरैत रहबाक साहस नहि बँचलै। एहि
अद्भुत परिस्थिति आ अग्निमय अस्थिरतामे
बड़ सम्हारिक’ डेग उठाबक बेगरता छैक कि
घास पर पसरल सोन टूटि ने जाइक
नवगछुलीक आपसी संवाद भंग ने भ’ जाइक।