Last modified on 6 जून 2013, at 09:02

मनोरथ / देवशंकर नवीन

सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 09:02, 6 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=देवशंकर नवीन |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMa...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हमरा वरदान दिअ’ गुरूदेव !
जे हम धृत्तराष्ट्र नहि बनि सकी
ने संजय

ने अर्जुन-सन नपुंसके बनि पाबी गुरूदेव !
नपुंसक नहि होइ

कोनो कृष्णकें
हरदम
हमरा हमर कर्तव्य-पाठ नहि पढ़ब’ पड़नि

जँ देबाक अछि
तँ वरदान दिअ’
जे हम लकड़हसास होइ
हमरा एकटा कुरहरि होअए आ बांहिमे होअए ताकत
जे हम
काटि दी
अपन छाती पर ठाढ़, झुमैत....
अइ समस्त यूकिलिप्टसक गाछकें....