Last modified on 2 जुलाई 2014, at 19:55

गृह सौं आनि पीढ़ी दिअ / मैथिली लोकगीत

Mani Gupta (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:55, 2 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह= बिय...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

गृह सौं आनि पीढ़ी दिअ बैसक यदुपति चरण पखारी जी
चरण पखारि चरनोदक लेलनि लय चलल भानसघर जी
सोनक थार संचार लगाओल बइसक कम्मल कारी जी
सुन्दर सार दहिन भए बैसल, रूचि रूचि भोजन करू जी
स्वर्ण बिअनि लए सरहोजि बैसल, छथि सरहोजि बेवहारी जी
पाकल पान रजतवर्क चढ़ाओल, घृतहि तरल सुपारी जी