Last modified on 2 जुलाई 2014, at 20:07

दालि भात मैदा केर पुआ / मैथिली लोकगीत

Mani Gupta (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 20:07, 2 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह= बिय...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

दालि भात मैदा केर पुआ, ताहि पर घीव चपोरी जी
नाना भांति बने तरकारी, कृष्ण भये रसभोगी जी
जेमन बैसला कृष्ण कन्हैया, देथि सखि सभ गारी जी
माइ अहाँक के कहिय यशोदा, मथुरा सँ एली उढ़ारी जी
बाप अहाँक के कहिय नन्दजी, घर-घर मांगय सोहारी जी
बहिनी अहाँक कहिय सुभद्रा जी, रसिलबा संग सिधारी जी
पिउसी अहाँक कहिय कुन्ती, सेहो छथि पाँच भतारी जी
जेमन बैसला कृष्ण कन्हैया, देथि सखि सभ गारी जी