Last modified on 22 अप्रैल 2015, at 23:36

हमर आंगन सून छै / नरेश कुमार विकल

सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:36, 22 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नरेश कुमार विकल |संग्रह=अरिपन / नर...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

आइ गगन मे चान उगल छथि,
हमर आंगन सून छै।
सबहक आंगन ऐपन सेनुर
हमरा कारिख चून छै।

पात-पात मोती ओंगघराएल
चकमक चारू कोर छै।
सबहक आंचर दूभि-धान,
आ’ हमरा आंचर नोर छै।

सबहक जीवन मे आकर्षण
हमरा लागल घुन छै।
सबहक आंगन ऐपन सेनुर
हमरा कारिख चून छै।

हँसै कुमुदिनी-तीरा-जूही
बिहुँसय कमलक पात छै।
हमरा माथा चढ़ल किऐ
शनिक साढ़े सात छै।

सभ कें मीठ मलाई, हमरा
रोटी पर ने नून छै।
सबहक आंगन ऐपन सेनुर
हमरा कारिख चून छै।

पात-बतासा आर मखानक
सभ ठाम एकरे सोर छै।
हमर विधाता वाम भेल छथि
चलै न कोनो जोर छै।

हमरा लेल आइ कोजागरा
बिना छन्द केर धून छै।
सबहक आंगन ऐपन सेनुर
हमरा कालिख चून छै।