Last modified on 23 अप्रैल 2015, at 00:02

मोनक चोर / नरेश कुमार विकल

सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:02, 23 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नरेश कुमार विकल |संग्रह=अरिपन / नर...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

सून्तलि राति उचाट मोन पर
चलै ने कोनो जोर छै।
ने जानि हम कतऽ नुकाएल
हमर मोनक चोर छै।

मोनक सिनेहिया तोरे पर छै
कारी केश मे टाँगल
एखनो हमरा मोन पड़ैये
तोहर ठोर राँगल।

चम-चम आँखि चमकैछौ तोहर
काजर कारी कोर छै।
ने जानि हम कतऽ नुकाएल
हमर मोनक चोर छै।

दुधिया दाँत सँ दाबि-दाबि आ‘
पीसि-पीसि कें बाजल।
तखने हमर कोंढ़ फटैये।
मोनक मंहफा साजल।

उड़ै वसन्ती पुरबैया मे-
तोहर आँचरक कोर छै।
ने जानि हम कतऽ नुकाएल
हमर मोनक चोर छै।

हमर मोनक दीप जरैये
तोहरे सुधिकेर बाती सँ।
धीया-पूताक जाड़ हटैछै
जहिना तौनीक गाँती सँ।

तहिना तौनीक गाँतीक आस मे
भऽ गेल सांझे भोर छै।
ने जानि हम कतऽ नुकाएल
हमर मोनक चोर छै।