Last modified on 23 अप्रैल 2015, at 00:06

छुतहर धीबक टारा छी / नरेश कुमार विकल

सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:06, 23 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नरेश कुमार विकल |संग्रह=अरिपन / नर...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

लहरि ने आबय लग मे जकरा
एहेन नदीक किनारा छी।
नजरि उठा केओ देखि सकय ने
सांझक एकसर तारा छी।

विरह आगि मे जरि रहलि छी
एहन एकटा फूल हम
काज ने ककरो आबि सकैछी
बाटक एहेन धूल हम
प्यास मिझा ने सकैछी ककरो
सूखल सोतिक धारा छी।
नजरि उठा केओ देखि सकय ने
सांझक एकसर तारा छी।

हमरे लेल ईं राति अन्हरिया
गुज-गुज लागय दिन मे
आगाँ केर सभ बाट बन थिक
जिनगी भेंटल रीन मे
मृगतृष्णा मे सींक पर टांगल
छुतहर घीअक टारा छी।
नजरि उठा केओ देखि सकय ने
सांझक एकसर तारा छी।।