भूगोल-खगोल-ग्लोबे - थीक नितम्ब ई, पूर्व - पश्चिमी गोल
चन्द्रहार उडुमनि खचित धनि उर उपर खगोल।।1।।
उद्योग-नगर - कपड़ा मिल मकड़ा बनल, धनकुट्टी कल मूस
चटकल चीनि क चुट्टिए, कीट नगर के दूस?।।2।।
हाट-बजार - मधु-माछी बेचय मधुर, लुक्खी खट्टिक ठाट
मूसक अन्न गोदाम पुनि मकड़े सूत क हाट।।3।।
टहल - मुसड़ी कुटनी - पीसनी, पनिभरनी जत बेङ
साही घर झारय - झुरय, घूनो चीरय ढेङ।।4।।
बीभत्स (घाओ) माछी मेहतर, मुसहरे मोस, पीलुए डोम
जोंक चमारे, घाओ अछि गाम अछूत क खोम।।5।।
जन-मजूर - दिबड़ा मटिकट्टी करय, मूसो कोड़य खेत
कतरि-कुतरि कुट्टी करय कीट, घास बिन हेत।।6।।
शल्य-शालाक्य - ब्लड बैंक क इनचार्ज छथि उड़िस मोस समुदाय
इंजक्शन मे अति चतुर डाक्टर सर्प सहाय।।7।।