Last modified on 19 दिसम्बर 2015, at 18:12

शिव स्तुति / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

Anupama Pathak (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:12, 19 दिसम्बर 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू' |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

कोन विधि आहे शिव करी हम पूजा
स्तुति मंत्रक नहि ज्ञान
नहि आचमनि लेल पित्तरक अरघा
नहि पूजाक समान....
बाड़ीक भांगक झाड़ी चरि क'
बसहा केलक निष्प्राण
शीतक मारल कनैल फुलल नहि
आकक पात मलान ...
फाटल पोथी मुसबा कतरल
कोना विद्यापति तान
लक्ष्मीनाथ गोसाँई कत' छथि
कत' गोविन्द रसखान ...
नरक निवारण कोना क' हेतै
नहि घृत आ ने कपूर
सुरभि अलोपित वरन कत' सँ
आँजुर भरल धथूर ...
अंतिम आश धरै छी बाबा
अहीँ सँ औढरदानी
आन रूपक संग पितर केँ बनबू
दीनक लेल संज्ञानी ...