भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

सभ पात पुरातन टूटि गेल / रूपम झा

Kavita Kosh से
Rahul Shivay (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 21:22, 9 मार्च 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=रूपम झा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMaithiliRach...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

सभ पात पुरातन टूटि गेल
निकलल कोमल सभ पात नवल

जामुन, कटहर, पीपर पलाश
कचनार आम आ अमलताश
सभ पर छायल नव-नव फागुलन
सभ झूमि-झूमि कए डोल रहल
निकलल कोमल सभ पात नवल

सौन्दर्यक नहि अछि ओर अंत
सभ रंग सहेजने अछि वसंत
गाछक कोमल सभ अंग-अंग
सुरभित वयार सै बेर छुअल
निकलल कोमल सभ पात नवल