Last modified on 7 सितम्बर 2018, at 00:23

बदलि जायत / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:23, 7 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


एतेक तमसाउ नहि
एकदिन तामस प्रेममे बदलि जायत
एतेक दुख नहि करू
एकदिन दुख सुखमे बदलि जायत
एतेक गुमान नहि करू बदलि जुआनी पर
एकदिन जुआनी, बुढ़रीमे बदलि जायत
कोनो ने कोनो बहन्ना बना कऽ
एतेक हिंसा नहि करू
एकदिन हिंसा, प्रतिहिंसामे बदलि जायत।