भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
शक्ति / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:25, 7 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
एक बेर घृणाक मिसाइल दागल जागत अछि
आ ओकरा घेरामे
जेरक जेर लोकक मोन
संक्रमित भीऽ जाइत अछि।
अस्त्र-शस्त्र कोनो होअय
लाठी-भाला
बन्नुक-तोप
ओकरा लग नहि छैक
सोचबाक कनियो शक्ति।
शक्ति
अस्त्र-शस्त्र रखनिहार
शासक, सेना आ आतंकी लग होइत अछि
जे समय-कुसमय
एकर सदुपयोग
आ दुरुपयोग
करैत रहैत अछि।