भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

थोड़बे काल / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 01:14, 7 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

एखनि छै इजोरिया
थोड़ेक कालक बाद नहि रहतै
एखनि फुलयल छै फूल
थोड़ेक कालक बाद नहि रहतै
एखनि छै बुलबुला
थोड़ेक कालक बाद नहि रहतै
एखनि छै अन्हर
थोड़ेक कालक बाद नहि रहतै
एखनि उगल छै पनिसोखा
थोड़ेक कालक बाद नहि रहतै
एखनि छै फनिगा
थोड़ेक कालक बाद नहि रहतै।

आबी
थोड़ेक काल जे अछि हमरा लग
ओकरा उपयोगी बनाबी।