भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
रसे-रसे / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 01:17, 7 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
रसे-रसे
उगैत अछि सुरुज
पसरैत अछि किरिन
घरतीक त्वचाकें स्पर्श करैत।
रसे-रसे
अलसायल चिड़ै
पाँखि खुजबैत
भोजनक टोहमे
भरैत अछि उड़ान।
रसे-रसे
जगैत अछि महीसबार
महीसक देह सहलाबैत
नादी दिस
बढ़बैत अछि डेग।
रसे-रसे
आँखि फोलैत अछि मछबार
कान्ह पर जाल धरैत
नदी दिस
बढ़बैत अछि डेग।
रसे-रसे
नशेरीक टुटैत छैक निन्न
टुटैत छैक देह
रतुका किरदानी पर पछताइत
पत्नीकें हाक दैत अछि।