Last modified on 8 सितम्बर 2018, at 02:00

आजह / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:00, 8 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

संसारमे हठात् किछु नहि होइत अछि
सभक ओजह रहैत अछि जरूर
कोनो ने कोनो।

ने हठात् जीत होइत अछि
ने हारि
ने हठात् प्रेम होइत अछि
ने घृणा
ने हठात् बिजुरी छिटकैत अछि
ने होइत अछि बरखा
ने हठात् पात पीअर होइत अछि
ने पात खसैत अछि
ने हठात् सुरुज उगैत अछि
ने डूबैत अछि।

कर्मक कोखिसँ जनमैत अछि
फल
फलक प्राप्ति होइत अछि
सिरही फानब-सन।