Last modified on 8 सितम्बर 2018, at 02:04

उड़ान / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:04, 8 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


शब्दसँ उड़ान भरैत अछि कवि
रंगसँ चित्रकार
तालसँ तबलची
धुनसँ संगीतकार
नृत्यसँ नटुआ
ऊर्जासँ बेदरा
उमेदसँ युवा
प्रवचनसँ साधु
नर्तनसँ धरती
आ निश्छलतासँ पानि
उड़ान भरैत अछि।

जरूरी छैक
जिनगीकें रंगमय बनयबा लेल-
शब्द
रंग
ताल
धुन
नृत्य
ऊर्जा
उमेद
प्रवचन
नर्तन
आ निश्छलता।