Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:04

स्मृति-तीन / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:04, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


अहाँक कायाक गढ़नि
सिद्ध शिल्पकारक शिल्प जकाँ कयलनि अछि
प्रकृति।

प्रेमी सभक मोनक
बेर-बेर
लोभबइए
बहकाबइए
प्रेमक आगिकें
पजारइए
अहाँक काया।

हमहूँ जनैत छी
अहँू जनैत छी
सभ दिन नहि रहतैक
काया
मुदा,
सभ दिन रहतैक
प्रेम
आ प्रेमक स्मृति।