Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:22

अनुभव / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:22, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


गुलाब!
तेरा पयबा लेल
काँटक दंश भोगऽ पड़ैत छैक
ठीक ओहिना
अनुभव!
तोरा पयबा लेल
लोककें
सभ मोड़ पर
जिनगीक अग्निपरीक्षा देबऽ पड़ैत छैक
जन्मसँ मरण धरि।