Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:28

राय / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:28, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


नहि पसारी घृणा
कतोक लोक
घृणाक आगिमे झरकि जाइत अछि।

नहि काटू गाछ
कतोक लोक
फल खयबासँ वंचित भऽ जाइत अछि।

अनेरे खर्च नहि करू पानि
कतोक लोक
बुन्न भरिक लेल छटपटाइते रहि जाइत अछि।

पसारबके होअय
तँ पसारू प्रेमकें
काटबाके होअय
तँ लोभकें काटू
बाँटबाके होअय
तँ बाँटू अपन अनुभव।