भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
मीता / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:37, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
हमरा बाबू नहि देलक
माय नहि देलक
भाय नहि देलक
बहिन नहि देलक
कोनो सुर-कुटुम नहि देलक
तोहीं दैह
बुढ़ारियोमे जुआनी अनुभव करबा लेल
प्रेमक दबाइ
मगनक दबाइ
आ, हिम्मतिक दबाइ।
आबह मीता!
बाँटि-चुटि ली
स्नेह आ साहचर्य।