Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:38

प्रतीक्षा / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:38, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


अहीं उषाक प्रतीक्षा
नहि करै छी
उषो अहाँक प्रतीक्षा करैत अछि।

अहीं चन्द्रिकाक प्रतीक्षा
नहि करै छी
चन्द्रिको अहाँक प्रतीक्षा करेत अछि।

अहीं मौसमक प्रतीक्षा
नहि करै छी
मौसमो अहाँक प्रतीक्षा करैत अछि।

अहीं घरक प्रतीक्षा
नहि करै छी
घरो अहाँक प्रतीक्षा करैत अछि।

अहीं अवसरक प्रतीक्षा
नहि करै छी
अवसरो अहाँक प्रतीक्षा करैत अछि।