Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:51

हमरा सिखबैत / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:51, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हमरा
बाबी सिखबैत छथि ममता
बाबू सिखबैत छथि अनुशासन
माय सिखबैत छथि पोसब
पत्नी सिखबैत छथि जोगब।

फूल सिखबैत अछि फुलायब
अश्व सिखबैत अछि दौड़
नदी सिखबैत अछि वेग
सुरुज सिखबैत अछि वेग
चान सिखबैत अछि शीतलता
चिड़ै सिखबैत अछि उड़ान।