Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:56

साम्य / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:56, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


हम नहि छी
भोर
हम नहि छी
साँझ
हम दुपहर छी।

हम नहि छी
छाउर
हम नहि छी
धुआँ
हम आगि छी।

हम नहि छी
बरफ
हम नहि
भाफ
हम पानि छी।

हम जिनगीक तारकें
नहि कसैत छी बेसी
आ ने ढ़ील करैत छी बेसी
साम्य रखबाक करैत छी प्रयास।