भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
रंगीन / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:19, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
हम नहि छी
भोर
हम नहि छी
साँझ
हम दुपहर छी।
हम नहि छी
छाउर
हम नहि छी
धुआँ
हम आगि छी।
हम नहि छी
बरफ
हम नहि
भाफ
हम पानि छी।
हम जिनगीक तारकें
नहि कसैत छी बेसी
आ ने ढ़ील करैत छी बेसी
साम्य रखबाक करैत छी प्रयास।