Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:23

हमरा लेल / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:23, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


हमरा लेल
अहाँक आँखि
बनि गेलए झील
हम बनि गेलहुँ हेलनिहार।

हमरा लेल
अहाँक चेहरा
बनि गेलए चान
हम बनि गेलहुँ चकोर।

हमरा लेल
अहाँक देह
बनि गेलइए फूल
हम बनि गेलहुँ भौंरा।

हमरा लेल
अहाँक आवाज
बनि गेलइए जलतरंग
हम बनि गेलहुँ संगीतकार।