भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
भेंट / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:24, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
जखन-जखन
अहाँसँ मिलन होइए
हमर मोन
गंगा नहयबा-सन
प्रफुल्लित
आ टटका भऽ जाइए।
जहिना अकासकें शोभा बढ़ा दइए
थोड़बे कालक लेल
इन्द्रधुनष
ओहिना हमर मोनकें रंगि दइए
शोभा बढ़ा दइए
अहाँक भेंटब।