Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:36

प्रेमी सभ / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:36, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


अहाँक
रंगल ठोर
रंगल हाथ
रंगल पयर देखि
ककरा नीक नहि लगतैक?

जहिना फूलकें फुलयबाक खबरि पहुँचि जाइए
भौंरा लग
ओहिना अहाँक जुआन होयबाक
सजबाक खबरि पहुँचि जाइए
प्रेमी लग
आ प्रेमी सभ
अहाँक लग
अयबा लेल
तकबा लेल
आ अहाँकें
पयबा लेल
लुरि लगबऽ लगइए।