भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

टीस / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:38, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अहाँ
हमर मोनकें
मोन नहि
काँच बुझलहुँ
बेर-बेर
काँच जकाँ चनकाबैत रहलहुँ
मोनकें
जाधरि एकसरि नहि भऽ गेलहुँ हम
ताधरि हमरा नहि छोड़लहुँ अहाँ
मुदा,
एकसर भइयो कऽ
एकसर कहाँ छी?

अहाँक देल घाओ
आइयो
रहि-रहि कऽ मारैत अछि
टीस।