भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
आबि आउ / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:41, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
हमरा
उमेद अछि
अहाँ भेटब
कोनो ने कोनो
मोड़ पर
अबस्से।
अहाँक एक दरसन
हमर
मन आ तनकें
शुद्ध
आ टटका बना दइए।
जहिना कतोक अन्हरिया रातिक बाद
आबि जाइए इजोरिया
ओहिना अहूँ
आबि जाउ
आब
कनियो देरी नहि करू
कालक कोन भरोस।