Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:42

पूँजी / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:42, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


अहाँ
ओहि राति
हमर देह पर कयने रही
नखदेख
दशछेद
आइ धरि रहि गेलइए
ओकर चेन्ह।

अहाँ
आइ नहि छी
हमरा लग
चेन्ह अछि
चेन्हकें छुबै छी
चुम्मा लै छी
अहाँ मोन पड़ै छी।

अहाँक देल चेन्ह रहइए
हमरा लग
हमर प्रेमक पूँजी अछि
चेन्ह।