Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:23

हमर कविता / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:23, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)



हमर कविता
बाबाक लाठी
बाबीक गंगाजल
बाबूक अखबार
आ पत्नीक कूकर बनि जाए।

हमर कविता
ऋतुमे बसन्त
चिड़ैमे मयूर
रंगमे हरियर
आ आकाश मे इन्द्रधनुष बनि जाए।

हमर कविता
नवयौवनाक हृदय
युवाक लोगगीत

सेनाक आत्मबल
आ विधवाक सहारा बनि जाए।