Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:29

कविता-एक / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:29, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


सरेआम कएल गेल
हमर सपनाक हत्या
ने थानेदार रिपोट लिखलक
ने अखबारमे भेटि सकलै जगह
ने योगक्रिया बतौलक कोनो योगी
ने सटीक दवाइ देलक कोनो डाक्टर
अपन उपदेशमे चर्चो ने कएलक कोनो दार्शनिक।

हमर बयान पर ध्यान देल गेल
आकांक्षाक भेल पोस्टमार्टम
सही कारणक पता लगएबा लेल
लिखल गेल कविता
कवि द्वारा।