Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:30

कविता-दू / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:30, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)



कविता
चोरबैत अछि
युवतीक ठोरक लाली
गजराक सुगन्धि
आ गजगामिनीक चालि।
कविता
सुनैत अछि
मन्दिरक घण्टी
मस्जिदक अजान।

कविता
हेरैत अछि
बूढ़ाक नीरव दिनचर्या
बढ़बैत अछि
आत्मबल।

कविता
देखैत अछि
मनुक्ख-मनुक्खक बीच
ढ़हैत
सम्बन्धक देवालकें
बदलल
मनोभावकें!

कविता
करैत अछि विरोध
फैशनक नाम पर
उधिआएल
समलैंगिकता आ अप्राकृतिक मैथुनक।