Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:35

पाइ / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:35, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)



सभ किछु पाइए नहि अछि
जहिना सभ किछु
बीतलाहा पलेटा नहि होइछ
वर्तमानमे कएल गेल काजसँ
बहराइत अछि भविष्य।

लागि गेल अछि लोक
पद, प्रतिष्ठा आ प्रतिद्वंद्विताक घोड़दौड़मे
पाइक लेल करैत अछि
अपन अस्तित्वक बनियौटी।

पाइ जरूरी छैक
मनुक्खक लेल
हमहूँ जनैत छी
मुद्रा ओकरोसँ जरूरी अछि
प्रेम, सौन्दर्य आ सौहार्द्रक रक्षा।