Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:37

क्रोध आ प्रेम / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:37, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)



क्रोध
बनबैत अछि
मानुखकें वनमानुख
सिखबैत अछि
अपराधक विज्ञान
पिअबैत अछि
अपन माहुर।

प्रेम
बनबैत अछि
मानुखकें मानुख
सिखबैत अछि
जिनगीक जीबाक कला
सुअदबैत अछि अमृत।

क्रोध
जाबत धरि बँचल रहत
पोसाइत रहत
मानुखक मोनमे
विकृति
आकार लैत रहत
अहंकार।

सभ किछु खत्म भऽ जाएत दुनियामे
तैयो बचतैक
प्रेम
आ ओकर इतिहास-भूगोल।