भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
कुहेसक अन्हार / अग्निपुष्प
Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:47, 18 मई 2020 का अवतरण
यदि इस वीडियो के साथ कोई समस्या है तो
कृपया kavitakosh AT gmail.com पर सूचना दें
कृपया kavitakosh AT gmail.com पर सूचना दें
नदीक एक कछेड़मे
थमकल तों नाह आ
दोसर कछेड़ पड़ल हम पतवार
हमरा तोरा बीचमे
पसरल अइ कुहेसक अन्हार
जतबे लागीच देख’ चाहैत छी
हम अपन दुनू हाथ
ततबे फराइ अइ
जेना हो बरेड़ी आ चिनवार,
अन्तहीन यात्राक
निस्तब्ध सड़क हम
आ तों क्रूर सवार
कतबो ढेहु उठए
नइं भेटल-ए सागरक तलमे
नेहसँ गढ़ल तोहर आकार
राजमुकुटक उच्चाकांक्षी तों
आ हम सिंहासनक पहरेदार
साज ओहिना सजौल अइ
मात्र टूटल अइ संवादक सितार
आसक पलाश हम
आ तों ऊसर पहाड़