Last modified on 27 सितम्बर 2020, at 19:00

पिता बहुत आगाँ छथि / दिलीप कुमार झा

सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:00, 27 सितम्बर 2020 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दिलीप कुमार झा |अनुवादक= |संग्रह= }}...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हमर पिता वाद्वान नहि रहथि
साहित्यकार तँ नहिये रहथि
जीबाक लेल कोरथि माटि
उपजाबथि रंग-बिरंगक अन्न
स' ख छलनि लगेबाक रंग-बिरंगक गाछ
जेना हमरा व्यसन अछि
रचबाक कविताक पाँती
पिता बड़ यत्नसँ गाछ रोपैत छलाह
ओकरवृद्धि ओ पोषणपर पूर्ण धियान दैत छलाह
आइ ओ गाछसभ भकरार भ' रहलए
फल फूलसँ महमह करैत उद्यान
हुनक स्वप्नकें साकार क' रहलए
हमर शब्दक ई संयोजन
कहियो बराबरी क' सकत हुनक गाछक
हमरा जनैत नहि
बिलहि सकत वातावरणमे प्राणवायु
तकरो संभावना नहिये अछि
कृषक होइतो पिता
हमरासँ बहुत आगाँ छथि
बहुत आगाँ!