Last modified on 27 सितम्बर 2020, at 19:17

चिड़ै आ बानर / दिलीप कुमार झा

सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:17, 27 सितम्बर 2020 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दिलीप कुमार झा |अनुवादक= |संग्रह= }}...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हम खंजनि
हम बुलबुल
हम चहकब
हम फूदकब
हम नाचब
हमरे सँ खिल-खिल
हमहीं बतासा
आमक गाड़ा
मकइक लाबा
खुओने छथि बाबी
भूल्ली महींसक दूध
पिओने छथि बाबा
भरि-भरि डाबा
करेज हमर पुष्ट
बाँहि हमर कस्सल
गात मजगूत
रोकबेँ जे रस्ता रे बनरा
हाथ गोर तोड़ि क' ,
बना देबौ भूत।