भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अहं (ईगो) / आभा झा

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:15, 6 फ़रवरी 2021 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=आभा झा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatKavita}} {{KKCa...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

पुरूष-प्रकृतिक योग श्रृष्टि थिक
सत्य सनातन नर-नारी:
विधना केर सुन्दर सन रचना
मिलि घीचथि जीवनक गाड़ी।

बदलि गेलै अछि तन मन सबहक
बदलल सब लौकिक व्यवहार:
मुदा अहं केर दंश ने बदलल
करय छहोछित घर परिवार।

अहं सर्प बनि छत्र काढ़ि कऽ
जतय जखन फुफकार करए:
प्रेम पराजित मुर्छित होइ छथि
नेहक बाती खाख बनए।

तेहन तेज धधकै ई ज्वाला
झड़कि रहल दाम्पत्य अनेक
अपनहिं गृह अपमानित गृहणी
कुहरि-कुहरि कऽ मरथि कतेक।

ओझराएल एहि चक्रव्यूह मे
अभिमन्यु बनि जौं फँसबै:
प्रेमक मधुरस धार ने पाएब
अपटी खेत में जा खसबै।

सफल गृहस्थीक मंत्र सिखौलनि
परमेश्वर शंकर भगवान:
अर्ध नारि ईश्वर बनि स्वयमहिं
कएलन्हि सकल जगत कल्याण।

आशुतोष शिवजी सँ सीखू
अहं सर्प कें दमन करब:
जीवन कें सब रस पाएब जौं
"दुष्ट ईगो" कें वमन करब।