भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
स्वेटर आ प्रेम / दीप नारायण
Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:34, 12 फ़रवरी 2021 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीप नारायण |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
अहाँक ओ स्वेटर
जे बीनिला उत्तर
स्वयं पहिर क' भजारने रही अहाँ
हल्लुक गुलाबी रंगक
से मोन अछि अहाँ केँ ?
हम एखन धरि रखने छी जुगुता क',
जहिया कहियो पहिरैत छी
होइत अछि जे
पँजियौने छी अहाँ भरि पाँज,
आ फेर जखन-तखन हँसोथति रहैत छी अपन देह,
निघारति रहै छी अएना,
बतियाइत रहैत छी किछु सँ किछु,
जे कि आँखि नहि बुझि पबैत अछि,
से सहजे बुझि जाइत अछि हृदय !
एहि स्वेटर केँ भेटल छैक अहाँक औँरीक स्नेह,
अहाँक दीर्घ सानिध्य,
अहाँक देहक गमकैत सुगंध,
जाहि सँ महमह करैत रहैत छी हम,
ओ स्नेह
जे आइयो हमरा मोन पाड़ै अछि
अहाँक लगीच होयबाक,
ओ सानिध्य
जाहि मे ऊब-डुब होइछ कोनो समय
जाहि सँ गमकैत अछि
आइओ हमर साँस
हम स्वेटर नहि
अहाँक प्रेम पहिरने छी
अपन काया मे।