भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
चन्द्रमा / बुद्धिनाथ मिश्र
Kavita Kosh से
अनिल जनविजय (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:14, 15 अक्टूबर 2010 का अवतरण (नया पृष्ठ: {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=बुद्धिनाथ मिश्र |संग्रह= }} Category: मैथिली भाषा [[Category…)
चौरा पर साँझ दीप बारि कें
पूजा सँ प्यार बनल चन्द्रमा
राति जेकर ठाँढि धेने ठाढि अछि
गाछ सिंगरहार बनल चन्द्रमा ।
काँच बाँस बान्हल आकाशदीप
बिहुँसल अछि फेर कोनो बात पर
मोती सन आखर सँ प्रेमपत्र
लिखि गेल अछि के पुरइन-पात पर
नीनक मातल चानन गाछ तर
एक समाचार बनल चन्द्रमा ।
अयना मे सतरंगी प्रेमगीत
झलकै अछि माछ जेना जाल मे
कालिन्दी मे नहाइत राधिका-
कृष्णक अभिसार बनल चन्द्रमा ।
कहलो ने मानै मन- मृग जखन
बंसी-स्वर पसरै अछि साँझ-भोर
एखनो धरि मोन परैए अहाँक
गहना छारल देहक पोर-पोर
दूभि-धान पान-फूल सँ भरल
सोना कें थार बनल चन्द्रमा।