Last modified on 23 मई 2016, at 03:19

एक दिन बीति गेल, ओहिना अनेरें / धीरेन्द्र

एक दिन बीति गेल, ओहिना अनेरें
एहिनाकए रीति गेल कते-कते हमर दिन।
एहिनाकए बीति गेल कते-कते हमर वर्ष।
वयकेर पनिभरनीकेर फूटि गेल ढेर घट।
अरसि-परसि थाकि गेल आइ हमर अरे बाँहि।
मरूयलमे मुदा आइ लागि रहल वाटिका।
सोच करत मालि किए जँ ओकरा भगाओल गेल।
रोपबाकेर अन्त भेल आइ यदि नाटिका।
रिक्त रिक्त आइ हम, भरल-पुरल गाछ अछि,
पसरल संसार अछि चलबाले पयार हमर,
करबा ले हाथ हमर, लागल अछि सिरजनकेर
रोग यदि हमरा, कहू मीत भेल आइ कोनो बेरे।
ओना साँचा बीति गेल एक दिन अनेरे !!