कोइली कुहकैत अछि
सभ सुनैत अछि
मसोमात कुहकैत अछि
केओ नहि सुनैत अछि।
पात खसैत अछि
सभ देखैत अछि
बताहि खसैत अछि
केओ नहि देखैत अछि।
कुकुर भुकैत अछि
सभ सुनैत अछि
बौक भुकैत अछि
केओ नहि सुनैत अछि
पानि बढै़त अछि
सभ देखैत अछि
पानि घटैत अछि
केओ नहि देखैत अछि।
अएना चनकैत अछि
सभ सुनैत अछि
मोन चनकैत अछि
केओ नहि सुनैत अछि।